शनिवार, फ़रवरी 19, 2005

किछ मैथिली फकरा

मोन परैत अछि किछ फकरा सब जे सुनने छलौं जहन धिया-पुता छलौं:
1) अँगना में खेलाइत छोटकी छोटकी दाई सब सदि खनि गबैत रहल छलिह:


चलू चलू बहिना
जहिना छी तहिना
लाल भैया लेने ऐता
लाले लाले कनिया

2) हमर माताश्री के मुख स सुनल किछ किछ

  • सुतल छी खाट पर टाँग दुनू टाट पर
  • हँ रे, कहलकै जे, हिरणक गवाही सूग्गर
  • दही में सही
  • बापक नाम घास-फूस, बेटाक नाम परोड़
  • राजाके ओढना रहै, रानी के गरिंपोछना

आर फेर मोन परत त फेर लिखब।

शनिवार, फ़रवरी 12, 2005

नमस्कार

पहिल पोस्टिंग कय रहल छी। बहुत दिन स मोन सबसबायल छल मैथिली में किछ लिखबाक लेल। त वएह कारण अछि, सब ठीक ठाक रहल त लिखाई हैबे करतई।